मधुबनी जिलामे एक सनसनीखेज घटना सामने आएल अछि। बेनीपट्टी थाना क्षेत्रक बिशनपुर धोबिघटा पुलक नजदीक एक युवकक शव बरामद भेल अछि। मृतकक पहचान साहरघाट थाना क्षेत्रक त्रिमुहान गाँवक नूधो यादव के रूप में भेल अछि। पुलिस मृतकक साले के गिरफ्तार क’ चुकल अछि आ मामला क’ जांच क’ रहल अछि।

मधुबनीक बेनीपट्टी थाना क्षेत्रक बिशनपुर धोबिघटा पुलक पास तेज हथियार सँ कटल गेल शव बरामद भेल अछि। युवकक शव सड़कक किनारे फेंकल गेल छल। मृतकक मुंह, आंख आ कान पर जख्म छल आ शव खून सँ लथपथ छल। घटनास्थल पर बाइक पड़ी रहल छल।

इसे भी पढ़े

घटनास्थल पर थाना अध्यक्ष शिव शरण शाह पहुँचलाह आ मामला क’ जांच क’ रहल छथि। पुलिस शव क’ पोस्टमार्टम लेल मधुबनी भेजि देलक अछि। पुलिस मृतकक साले क’ गिरफ्तार क’ चुकल अछि।

इहो पढ़ू:-